Pankaj Kumar Yadav

गजल


#गजल
हम जोगी भऽ गेली अहीँक कारण सँ
हम रोगी भऽ गेली अहीँक कारण सँ

अहीँक प्रेममे डुबल रहि राईत दिन
हम भोगी भऽ गेली अहीँक कारण सँ

अहीँक खुसीक लेल बेच देलि यै खेत
हम योगी भऽ गेली अहीँक कारण सँ

मधुर होट्क लल्का जे लाली रहे
हम लोभी भऽ गेली अहीँक कारण सँ

लेकिन खुसी लगैय एगो बात के
हम सहयोगी भऽ गेली अहीँक कारण सँ

@पँकज_कुमार_यादब
शहिदनगर नगरपालिका-9
गोठकोयल्पुर(धनुषा)
हाल:-दोहा/कतार(मरुभुमी).

#अन्य